August 14, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

[ADINSETER AMP]

मैथिली साहित्य मे शोक, नै रहला युवा कवि प्रणव नार्मदेय

[ADINSETER AMP]

कविता संग्रह ‘विसर्ग होइत स्वर्ग’ सं चर्चा मे आयल युवा कवि प्रणव नार्मदेय’क निधन लगभग 41 सालक अवस्था मे भ’ गेलनि। ओ पिछला किछु दिन सं बीमार छलाह आ वाराणसीक एकटा अस्पताल मे हुनकर इलाज चलि रहल छलनि। सूचनाक अनुसार ओ सोम कें सांझ लगभग साढ़े पांच बजे अंतिम सांस लेलनि। हालहि मे हुनकर एकटा कविता संग्रह ‘विसर्ग होइत स्वर्ग’ नवारंभ प्रकाशन सं प्रकाशित भेल छल। ई संग्रह मैथिली साहित्य में खूब चर्चित आ प्रशंसित रहल अछि। ओ युवा पीढ़ीक एकटा तेज – तर्रार कवि मानल जाइत छलाह। ओ कोनो मुद्दा पर अपन बेबाक विचार रखैत छलाह। हुनकर असामयिक निधन सं मैथिली साहित्य मे शोकक लहरि अछि।

[ADINSETER AMP]

 419 total views

Spread the love
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]