झंझारपुर विधायक नीतीश मिश्र गृह मंत्रालय सं कवि कोकिल विद्यापतिक नाम पर राष्ट्रीय पुरस्कार देबाक मांग केलनि अछि। गृह राज्य मंत्री नित्यानंद राय कें पत्र पठा क’ श्री मिश्र कहैत छथि जे विद्यापति संपूर्ण बिहारक गौरव छलाह। भारतीय साहित्यक श्रृंगार परम्परा एवं भक्ति परम्पराक प्रमुख स्तंभ मे सं एक, विद्यापति लोक भाषा आ जनजेतना कें जीवित रखबाक महान काज केलनि। विद्यापति भारतक आदि कवि मे सं एक छलाह। तें विद्यापतिक नाम पर पुरस्कार देबाक परंपरा शुरू होमक चाही। जं हुनका नाम पर पुरस्कार देबाक परंपरा शुरू हैत त’ दुनिया भरिक लोक मे विद्यापति कें जनबाक जिज्ञासा हेतनि। बता दी जे राष्ट्रीय पुरस्कार देबाक अनुमति गृह मंत्रालयक अधीन राजभाषा विभाग दैत अछि।
1,871 total views
More Stories
पारंपरिक खेती छोड़ि माछ पालन करैमे जुटल किसान, भ’ रहल बंपर आमदनी
बुनियादी सुविधाक लेल तरसि रहल अछि खजौली सीएचसी
जल्दिए किसानकेँ नीलगायक आतंकसँ भेटि सकैत छनि राहति