October 1, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

[ADINSETER AMP]

द फरफेक्ट इंग्लिश एकेडमी मे 14 दिन सं चलि रहल खेल पखवाराक समापन, सम्मानित कयल गेल प्रतिभागी छात्र – छात्रा

[ADINSETER AMP]

बलुआ बाजार, सुपौल : भारत कें ओलिपिंक मे स्वर्ण पदक दियाब’बला महान हॉकी खिलाड़ी ध्यानचंद सिंहक प्रति सम्मान जतेबाक उद्देश्य सं 29 अगस्त कें सभ वर्ष भारत मे खेल दिवस के रूप मे मनाओल जाइत अछि। क्रीड़ा भारती नामक संगठन ऐ बेर पूरे भारत मे 29 अगस्त सं खेल पखवाड़ाक रूप मे मना रहल छल। एकर समापन 11 सितंबर कें भेल। 29 अगस्त सं 11 सितंबर धरि देशक विभिन्न विद्यालय आ स्पोर्ट्स क्लब मे जा क’ विभिन्न तरहक खेलक आयोजन कयल गेल। जनतब दी जे क्रीड़ा भारती एकटा श्राष्ट्रीय स्तर केर संगठन अछि। ऐ संगठन केर माध्यम सं युवा सभ कें शारीरिक आ मानसिक विकासक लेल प्रशिक्षण देल जाइत अछि। सिमराहीक ‘द फरफेक्ट इंग्लिश एकेडमी’ मे 14 दिन सं चलि रहल कार्यक्रमक समापन शनि कें भेल। ऐ कार्यक्रम मे स्कूलक – छात्र – छात्रा लोकनि बढ़ि – चढ़ि क’ नामांकन करौलनि। जीत’ बला छात्र – छात्रा लोकनि कें मेडल आ मोमेंटम द’ क’ सम्मानित कयल गेल। सम्मानित होम’ बला छात्र-छात्रा मे सुमन कुमार, दीपक कुमार, ऋषभ कुमार, गौरव कुमार आदि छथि। ऐ अवसर पर स्कूलक मैनेजिंग डायरेक्टर दीपक कुमार गुप्ता कहलनि जे खेल आ खिलाड़ी सबहक लेल हम हरदम उपलब्ध रहैत छी। आहां सभ खेल पर ध्यान दियौ हम आयोजन करबैत रहब। ओ छात्र – छात्रा लोकनि कें शुभकामना दैत हुनकर सबहक उज्ज्वल भविष्यक कामना केलनि। ऐ अवसर पर क्रीड़ा जिला मंत्री मुकुंद दास कहलनि जे स्वस्थ शरीर स्वस्थ मनक वास होइत अछि। एकटा नीक खिलाड़ी जिम्मेवार छात्र होइत अछि। क्रीड़ा भारती विभिन्न तरहक खेलक आयोजन करबा लेल कृत संकल्पित अछि। ऐ अवसर पर क्रीड़ा भारतीक जिला उपाध्यक्ष संजय सिंह कहलनि जे तेजी सं बदलैत दुनियांक संग हम अपन संस्कृति बिसरल जा रहल छी। हमर संस्कृति मे खेलक सेहो बहुत महत्वपूर्ण भागीदारी रहल अछि। जं कोनो व्यक्ति शारीरिक रूप सं स्वस्थ नहि रहैत अछि त’ ओकरा मानसिक तनाव जल्दिए जकड़ि लैत अछि। खेल सं शरीर स्वस्थ रहैत अछि आ खेल ओकरा कोनो काम करबा मे सक्षम बनबैत अछि। जहनकि कार्यक्रम कें संबोधित करैत प्रधानाध्यपक अमित कुमार कहलनि जे खिलाड़ी कहियो बूढ़ नहि होइत अछि। खेल कें अपन जीवनक अंग बनाबी आ अभिभावक लोकनि कम सं कम एक घंटा अपन बच्चा कें मैदान मे पठाबथि। ऐ अवसर पर शिक्षक मधुर कुमार सन्नी, संतोष कामती, सुबोध कुमार, जोली वर्मा, बेबी सिंह, अर्पणा कुमारी एवं अन्य शिक्षकगण, छात्रा – छात्रा आ अभिभावक लोकनि उपस्थित छलाह।

[ADINSETER AMP]

 

 2,789 total views

Spread the love
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]