October 1, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

[ADINSETER AMP]

सुपौल : जिला पदाधिकारी केलनि आरटीपीसीआर लैब केर उद्घाटन

[ADINSETER AMP]

सुपौल :  जिला पदाधिकारी महेन्द्र कुमार आरटीपीसी आर लैब केर उद्घाटन केलनि। सदर अस्पताल सुपौल मे जिला पदाधिकारी महेन्द्र कुमार जीआरटीपीसीआर लैबक उदघाटन केलनि। एकर बाद आरटीपीसीआर लैबक निरीक्षण सेहो केलनि आ जांच सं संबंधित जिला संचारी रोग पदाधिकारी सं आवश्यक जानकारी सेहो लेलनि।

[ADINSETER AMP]

संचारी रोग पदाधिकारी जानकारी देलनि जे डेढ़ घंटा मे ई मशीन 96 गोटेक जांच क’ सकैत अछि। उद्घाटन केर अवसर पर सौ गोटेक जांच सदर अस्पताल मे कयल गेल। जांच मे सभ जांच रिपोर्ट निगेटिव पाएल गेल।

वर्तमान मे सदर अस्पताल सुपौल मे पांच सय नमूना केर जांच कयल जाएत। किछु दिनक बाद जांचक दायरा बढाएल जाएत। वर्तमान मे सदर अस्पताल सुपौल मे आरटीपीसीआर लैब मे 5 एल टी 1 माइक्रोलोजिसट 2 कंप्यूटर ऑपरेटर केए प्रतिनियुकती केएल गेल अछि। पंकज कुमार झा जिला अनुश्रवण सह मूल्यांकन पदाधिकारी जनौलनि जे सभ जांचक ऑनलाइन पोर्टल पर इंट्री होयत। लाभार्थी कें मोबाइल सं जनतब भेंट जाएत। ऐ लैब कें चालू भेलाक बाद 24 घंटा मे जांच रिपोर्ट भेट जाएत। उद्घाटन केर अवसर पर सिविल सर्जन डाक्टर इन्द्रजीत प्रसाद, जिला संचारी रोग पदाधिकारी डाक्टर मेजर शशिभूषण प्रसाद, उपाध्यक्ष डाक्टर नूतन वर्मा एवं अन्य कर्मी सेहो उपस्थित छलाह।

 1,836 total views

[ADINSETER AMP]
Spread the love
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]