जयनगर-जनकपुर रेलसेवा शुरू भेला सँ मिथिला मे हर्ष मुदा समय आ नियम मे अछि परिवर्तन केर आवश्यकता
जनकपुर सँ लौट क’ सच्चिदानंद सच्चू
जयनगर-जनकपुर रेलसेवा शुरू भेला सँ संपूर्ण मिथिला मे हर्षोल्लास केर वातावरण अछि। रेल यात्राक लेल सभ सँ सस्ता आ सुगम माध्यम अछि। दू अप्रैल कें एकर जहन विधिवत उद्घाटन भेल जयनगर आ जनकपुर रेलवे स्टेशन पर लोकक करमान लागल भीड़ छल। दू अप्रैल कें एहि रेल सँ दुनू देशक मात्र गणमान्य लोकनि यात्रा कयलनि मुदा तीन अप्रैल कें एहि रेल सँ दुनू देशक सर्वसाधारण लोक यात्रा कयलनि। दुनू पारक लोक मे हर्षोल्लास स्वभाविक रूप सँ देखबा मे आबि रहल छल। रेल संग सेल्फी लैत लोक सहजहिं देखल गेलाह। वर्षो बाद रेलसेवा शुरू भेलाक बाद आम लोक त’ आम लोक, व्यापारी वर्ग मे सेहो खूब प्रसन्नता नजरि आएल।
पहिने दिन भरि बंद रहैत छल होटल
जनकपुर रेलवे स्टेशनक बगल मे गणेश शाह न्यू चंपारण नामक होटल चलबैत छथि। ओ कहैत छथि जे आइ वर्षो बाद हमर होटल दिन मे खूजल अछि। जहिया सँ जनकपुर-जयनगर रेलसेवा बंद भेल, हमर दोकान दिन मे खूजब सेहो बंद भ’ गेल। मात्र साँझ मे किछु कालक लेल हमर होटल खूजैत छल किछु कालक बाद बंद भ’ जाइत छल। साँझ मे पीबा-खयबा लेल लोक सभ अबैत छथि आ ओही लोक सबहक सहारे हमर सबहक जीवन यापन चलैत छल। मुदा आब भरोस अछि जे ई रेलसेवा अनवरत काल धरि चलैत रहत आ हमर सबहक रोजी-रोजगार मे सेहो उतरोत्तर वृद्धि हैत।
रेलक फेरा बढ़ेबाक अछि आवश्यकता
मनोज पंजियार एकटा यात्री छथि। भारतीय सीमा सँ सटल ठाढ़ी हिनक गाम छनि। रेलसेवा शुरू भेलाक बाद ई खूब प्रसन्न छथि। हिनक कहब छनि जे रेलसेवा शुरू भेलाक बाद हमरा सभ लेल जनकपुर आएब बेसी आसान भ’ गेल अछि। पहिने टेंपू सँ जनकपुर आब’ पड़ैत छल। एक सय टाका एक पीठक भाड़ा लगैत छल। आब एहि रेलसेवा कें शुरू भेलाक बाद हमरा सभ कें टेंपूबलाक मनमानी सहन करबाक आवश्यकता नहि अछि। मुदा ट्रेनक जे समय छै, ओ कने व्यवहारिक नहि छै। हुनक कहब छनि जे भोर मे जे व्यक्ति जनकपुर औताह, हुनका दिन भरि जनकपुर मे रह’ पड़तनि। बीच मे वापसीक लेल कोनो ट्रेन नहि रहकलाक कारणें ई परेशानी अछि। हिनक कहब छनि जे रेलक समय सारिणी पहिने जकाँ करबाक आवश्यकता अछि।
रेलक फेरा बढ़ेबाक अछि आवश्यकता
दिलीप कुमारक सेहो इएह कहब छनि। ओ दरभंगा सँ जनकपुर एलाह मुदा जयनगर मे हुनक ट्रेन मात्र पाँच मिनट लेल छूटि गेलनि। फेर ओ सड़क मार्ग सँ मारड़-सिरहा होइत जनकपुर पहुँचलाह। उद्देश्य इएह जे जइती मे नहि सही, अइबती मे त’ एहि रेलसेवाक आनंद ल’ सकब। दिलीप कुमार कहैत छथि जे दरभंगा-मधुबनी आदि क्षेत्र सँ आब’ बला लोक लग सेहो इएह समस्या अछि। जनयगर सँ जनकपुरक लेल भोर मे 8 : 35 बजे ट्रेन खूजैत अछि। जँ ई ट्रेन छूटि गेल त’ दिन भरि अहाँ जयनगर मे फंसल रहि जाएब। फेर दुपहरक पौने तीन बजे एत’ सँ ट्रेन खूजैत छै जे लगभग साढ़े चारि बजे जनकपुर छोड़ैत छै। वापसी मे ओ ट्रेन साँझ मे लगभग साढ़े पाँच बजे अछि। एतबी काल मे अहाँ जनकपुरक जानकी मंदिरक दर्शन सेहो नहिञे जकाँ क’ सकैत छी। भोर मे जयनगर सँ ट्रेन छुटलाक बाद सड़क मार्ग सँ जनकपुर जाएल जा सकैत अछि जे बहुत बेसी कठिनाह अछि।
सभ गोटे कत’ सँ आनत नागरिकता
अशोक शाहू आ नंदिनी यादव कें सेहो रेलक समय सारिणी मे परिवर्तनक आवश्कता बुझाइत छनि। ओ कहैत छथि जे रेलक फेरा बढ़ाएल जयबाक चाही। दोसर सभ सँ दिक्कत बला बात ई छै जे टिकट लेबा लेल नेपाली नागरिक कें नागरिकता देखब’ पड़ैत छनि आ भारतीय नागरिक आधार कार्ड वा वोटर आइडी देखब’ पड़ैत छनि। अशोक आ नंदिनी कहैत छथि जे नेपाल मे सभ लग नागरिकता नहि होइत अछि। किएक त’ एत’ नागरिकता बनाएब कठिन काज अछि। एकरा लेल मारिते रास टाका आ पैरवी-पैगाम चाही। जे सभ सँ संभव नहि छै। आ जकरा लग नागरिकता छै, जँ ओकर नागरिकता कोनो कारणवश हेरा जाइत छै, त’ ओकरा फेर सँ बनेबा लेल सेहो कतेको रंगक पापड़ बेल’ पड़ैत छै। तें सरकार कें एहि नियम मे छूट देबाक आवश्कता छैक। ओ कहैत छथि जे जँ ई रेल दुनू पारक मिथिला कें जोड़बा लेल चलाओल जाइत अछि त’ मैथिल कें मिथिला मे एबा-जेबा लेल की आइडी प्रूफक आवश्यकता होमक चाही! हँ, विदेशी व्यक्तिक घुसपैठ नहि हो, एकरा लेल दुनू देशक सरकार मीलि क’ एकटा ठोस रणनीति बनाबय, जाहि सँ दुनू पारक मैथिल कें कोनो परेशानी नहि होइन।
1,294 total views
More Stories
मजदूर दिवस विशेष : लहलहाइत खेत, हँसैत फुलबाड़ी आ भरल थारी सब मजदूरे के कमाल
आर्थिक संकट मे नेपाल, भारत-चीन कतेक अछि संग?
नेपालक अर्थ संकट आ भारतीय अर्थव्यवस्था