[ADINSETER AMP]
जयनगर। समदिया
सरकारक निर्देश पर बुध दिन प्रखंडक दू गोट पंचायत बैरा आओर बरही मे सरकारी योजना सभक जांच अधिकारी सभ केलनि। बीडीओ उमा भारती बैरा आओर सीओ सुधीर कुमार बरही मे छलाह। बीडीओ बतेलनि जे चारि गोट आंगनबाड़ी केंद्र आओर तीनटा स्कूलक जांच कएल गेल। आंगनबाड़ी केंद्र सभ पर कोनो ठाम आठ दसटा सँ बेसी बच्चा नहि भेटल। पोषाहार बाँटि चुकल छल। स्कूल सभ मे मध्यान्ह भोजन चलि रहल छल। एकटा स्कूल मे शिक्षक अनुपस्थित पाएल गेलाह। तहिना चारि वार्डक जल नल योजना मे तीन मे जलापूर्ति भ’ रहल छल मुदा एक गोट वार्ड मे बन्द पाएल गेल। नली गली योजना मे सेहो काज संतोष जनक नहि देखल गेल। बीडीओ कहलनि जे प्रतिवेदन जिला प्रशासन के पठाएल जा रहल अछि। सीओ कहलनि जे बरही पंचायतक कतेको योजना सभ मे जांच के क्रम मे गड़बड़ी देखल गेल अछि।
3,874 total views
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]
More Stories
पारंपरिक खेती छोड़ि माछ पालन करैमे जुटल किसान, भ’ रहल बंपर आमदनी
सुपौल : तेज रफ्तार बाइक बसमे मारलक टक्कर, एक गोटेक मृत्यु
बुनियादी सुविधाक लेल तरसि रहल अछि खजौली सीएचसी