आउ, आइ भेंट करैत छी देवघर रोपवे दुर्घटना मे 22 गोटेक जान बचौनिहार पन्नालाल पंजियार सँ
अखन दरबज्जा पर भेंट करैबला लोक सभ अबिते रहैत छथि। लोक अबैत-जाइत रहैत छथि। बेसी लोक बधाइ दैत छथि। किछु पूछैत छथि जे अहाँ एहन कठिन काज कोना क’ लेलिऐ? हुनका भरोस छनि जे दरबज्जा लोक सबहक एबाक क्रम आब जल्दिए कम हैत आ ओ अपन ड्यूटी पर जा सकता। हम बात क’ रहल छी देवघर रोपवे दुर्घटना मे 22 गोटेक जान बचौनिहार पन्नालाल पंजियार केर। पन्नालाल दामोदर रोपवेज़ इन्फ्रा लिमिडेट (डीआरआइएल) केर कर्मचारी छथि। ई कंपनी त्रिकूट पहाड़ पर रोपवे केर संचालन करैत अछि।
10 अप्रैलक साँझ एत’ भेल रोपवे दुर्घटना आ ओकर बाद चलल रेस्क्यू ऑपरेशन मे तीन गोटेक मृत्यु भ’ गेल छल। मुदा पन्नालाल पंजियार लगभग सात सय फीटक ऊंचाइ पर ट्रॉली मे फँसल 22 पर्यटक केर जान अपन दम पर बचौलनि। आ इएह कारण अछि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ झारखंडक मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन पन्नालाल पंजियारक.प्रशंसा कयलनि अछि। ई दुनू वीडियो कान्फ्रेंसिंग द्वारा पन्नालाल पंजियार सँ गप सेहो कयलनि। झारखंड सरकार पन्नालाल कें एक लाख टाका प्रोत्साहन राशि देलक अछि। आ तें आइ -काल्हि सुर्खी बटोरि रहल छथि। हुनक घर लोक सबहक अबरजात बनल अछि।
त्रिकूट पहाड़ देवघर शहर सँ लगभग 20 किमी दूर दुमका – देवघर रोडक कात मे स्थित अछि। पन्नालाल पंजियार अपन तीन बच्चा संजू, राहुल, खुश्बू आ पत्नी सुनीता देवी संग त्रिकूट पहाड़ लग बसल गाम तीरनगर मे रहैत छथि। एत’ हुनक एकटा छैट छीन मकान छनि। हुनक पैतृक गाम बलडीहा सेहो पहाड़ लग स्थित अछि मुदा त’ पर्याप्त जमीन नहि रहलाक कारण ओ लोकनि पड़ोसी गाम तीरनगर मे आबि क’ बसि गेलाह। आब इएह हिनक निवास स्थान छनि।
ई एकटा संयोग अछि जे जाहि पन्नालालक बहादुरीक चर्चा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कयलनि हुनका कोनो सरकारी योजनाक लाभ नहि भेटि रहल छनि। ओ अपन दम पर दू कोठलीक घर बनबौलनि मुदा ओहि घर मे ओ शौचालय नहि बनबा सकला। पन्नालालक परिवार आइयो बाहर मे शौच करबा लेल विवश अछि। सरकारी सुविधा नहि भेटबाक समाचार प्रकाशित भेलाक बाद झारखंडक मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन अधिकारी लोकनि सँ गप्प कयलनि आ पन्नालालक घर मे शौचालय बनबेबाक निर्देश देलनि। संगहि मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन इहो कहलनि जे एहि मामलाक जांच कराएल जाय जे आखिर आइ धरि पन्नालाल कें कोनो सरकारी योजनाक लाभ किए नहि भेटि रहल छनि। ओ कहलनि जे पन्नालाल कें सभ सरकारी योजना सँ जोड़ल जाय। एकर किछु घंटाक बाद जिला प्रशासन अपन अधिकारिक सोशल मीडिया हैंडल पर संबंधित अधिकारी कें जांच करबैत पन्नालाल के सभ सरकारी योजना सँ जोड़बाक निर्देश देलगेल।
नेनपन मे स्वर्गीय भ’ गेल छलाह माता – पिता
पन्नालालक माँ – बाबूजीक मृत्यु तहिया भ’ गेल रहनि जहिया ओ दस वर्षक छलाह। ओ अपन पाँच भाइ बहिन संग अपन जीवन बितौलनि। आ इएह कारण अछि जे हुनका संघर्ष करबाक आदति नेनपने सँ छनि। ओ अनपढ़ छथि मुदा हुनक साहस पढ़ल – लिखल लोक कें सेहो चकित क’ देने अछि।
पन्नालाल कहैत छथि जे रोपवे मे काज कयला सँ हमरा लगभग 15 हजार टाका भेटि जाइत अछि। मुदा हमरा एहि सँ बेसी टाकाक सरकारी नैकरी भेटि जाइत त’ परिवार चलाएब आसान भ’ जाइत। पन्नालाल रामनवमीक साँझ भेल रोपवे दुर्घटनाक खिस्सा मीडिया कर्मी लोकनि कें बतौलनि। ओ कहैत छथि जे हम अपन बच्चा सबहक बारे मे सोचने रहितहुँ त’ एतेक लोकक जान नहि बचा सकितहुँ। आब हम संतुष्ट छी जे हमरा कारण 22 गोटेक जान बाँचि सकल। ओ खुश छथि किएक त’ ,अभाव मे गुजर – बसर करैबला हुनक परिवारक सभ सदस्य कें एक संगे खुश रहबाक अवसर भेटल अछि। ओ ओहि ग्रामीण लोकनि कें सेहो धन्यवाद दैत छथि जिनक सहयोग सँ ओ एतेक गोटेक जान बचा सकला।
एहि संबंध मे पन्नालाल कहैत छथि – ओइ दिन रामनवमी छल। हमर गाम मे दुर्गापूजा होइत अछि। दुर्गापूजा मे बलि देल जाइत अछि। ओ अपन इंचार्ज सँ एहि लेल छुट्टी लेने रहथि जे बलिक प्रसाद घर पर द’ क’ काम पर आबि जेताह। ओ कहैत छथि, घर जयबाक क्रम मे बंसडीहा मोड़ पर हम एकटा दोकान पर पुड़िया (गुटखा) खेबा लेल रुकलहुँ। वैह दोकानदार हमरा रोपवे दुर्घटनाक सूचना देलक। हम सन्न रहि गेलहुँ आ घर जयबाक बदला वापस ड्यूटी पर लौट गेलहुँ।
ओत’ बहुत बेसी भीड़ लागल छल। पहिनेबला त’ डर भेल जे लोक कहीं समरे सभ कें नहि मार’ लागय।
मुदा हम हिम्मत जुटा क’ आगू बढ़लहुँ। फेर जे दृश्य देखाएल, ओ दिमाग कें झकझोरि देबाक लेल पर्याप्त अछि। लोक ट्रॉली सभ मे फँसल छलाह आ हुनक सबहक चिचियेबाक स्वर नीचाँ दरि आबि रहल छल। हम सोचलहुँ जे ऊपर फंसल लैक कें अपन दम पर बंचाएब मोशकिल अछि मुदा जे नीचाँक ट्रॉली मे फँसल छथि, हुनका सभ कें बंचेबाक प्रयास करक चाही। फेर हम सेफ्टी बेल्ट आ रस्सीक सहारे ऊपर चढ़ब शुरू कयलहुँ। तहन पाँच बाजि रहल छल। हमरा बुझबा मे आबि गेल छल जे हमरा सभ कें जे करबाक अछि, ओ अन्हार होम’ सँ पहिने करबाक अछि। हमरा ग्रामीण आ सहयोगी कर्मचारी लोकनि मात्र हिम्मत देलनि। किछु गोटे हमरा रेस्क्यू मे सहयोग सेहो कयलनि।
रस्सीक सहारे लटकि -लटकि क’ ऊपर चढ़लाक बाद हम ओत’ फँसल चारि ट्रॉली मे सवार 16 पर्यटक आ तीन साल सँ कम उम्रक हुनक दू बच्चा कें एक – एक क’ सुरक्षित रेस्क्यू कयलहुँ। हुनका सभ कें नीचाँ आनैत – आनैत अन्हार भ’ गेल छल। ताबत धरि प्रशासनक टीम सेहो आबि गेल छल।
अधिकारी लोकनि कहलनि जे अन्हार मे बचाव अभियान चलाएब संभव नहि अछि। फेर सम ऊपर नहि गेलहुँ। अगिला भोर माने 11 अप्रैल कें दू गोट हेलीकॉप्टर आएल आ पहाड़क दू चक्कर लगेलाक बाद वापस चलि गेल। ताबत धरि सेनाक जवान सेहो आबि गेल छलाह मुदा बचाव अभियान शुरू नहि भ’ सकल छल। हुनका सभ कें इएह बुझबा मे नहि आबि रहल जे जे एते ऊपर लटकल लोक सभ लग कोना पहुँचल जाय।
फेर हम रस्सीक सहारे दुबारा चढाइ शुरू कयलहुँ आ एक ट्रॉली मे फँसल चारि गोटे कें बाहर निकाललहुँ। एहि तरहें हम दू बच्चा सहित कुल 22 गोटेक जान बचेबा मे सफल भेलहुँ। एकर बाद सेना, वायुसेना, आइटीबीपी, एनडीआरएफ आ स्थानीय प्रशासनक लोक.द्वारा बचाव अभियान शुरू कयल गेल आ तीन गैटे कें छोड़ि क’ सभ पर्यटक कें बचा लेल गेल।
हमरा प्रसन्नता अछि जे डीसी साहब हमर काजक प्रशंसा कयलनि आ समरा प्रधानमंत्री आ मुख्यमंत्री सँ गप्प करबौलनि। एहि सँ पहिने हम हिनक सबहक मात्र फोटो देखने रही।
देवघरक उपायुक्त मंजूनाथ भजंत्रि कहलनि जे पन्नालाल पंजियार झारखंडी कमांडो जकाँ काज कयलनि अछि। ई बात सम मुख्यमंत्रीजी कें बतेने रहिऐन। ओ एकरा लेल एक लाख टाकाक टोकन राशि पठौलनि अछि। मुख्यमंत्री कहलनि अछि जे ओ भारत सरकार सँ सेहो पन्नालाल कें सम्मानित करबाक अनुरोध करता।
पन्नालाल पंजियार सँ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन अलग – अलग गप कयलनि। एहि क्रम मे दुनू नेता पन्नालालक काजक प्रशंसा कयलनि। मुदा हुनका एहि बातक दुख छनि जे ओ प्रधानमंत्रीक समक्ष आधा मिनट मात्र बाजि सकलाह। प्रधानमंत्री पूछने रहथि जे की ओ बचाव अभियानक कोनो ट्रेनिंग लेने रहथि। ओतै, मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन कहलनि जे रोपवे दुर्घटना मे लोकक जान बचबैबला पन्नालाल जाहि मानवताक परिचय देलनि, ओकरा सभ गोटे कें आत्मसात करक चाही। हिनक कार्य सँ गर्वक अनुभूति होइत अछि।
3,062 total views
More Stories
अस्ताचलगामी सूर्य कें देल गेल अर्घ्य, छठि घाट सभ पर उमरल भीड़, राष्ट्रपति आ प्रधानमंत्री देलनि बधाइ
नहरक जमीन पर भ’ रहल अवैध निर्माण रोकबा लेल गेल पुलिस टीम पर हमला, चारिटा पुलिसकर्मी घायल
जिला परिषद् क्षेत्र संख्या 48 सं लालू प्रसाद यादव करौलनि नामांकन