- रहिका थाना घटना सँ जतौलक अनभिज्ञता, स्थानीय लोक कहलनि सूचनाक बादो नहि पहुँचल पुलिस
मधुबनी : रहिका थाना क्षेत्रक सोनमनी गामक एक युवक कें रवि केर राति मुर्गी चोरीक आरोप लगा क’ पीट-पीट क’ हत्या क’ देल गेल। हत्याक समाचार सुनिते आसपासक लोक ओत’ जमा भ’ गेल। बताएल जाइत अछि जे ओतै सँ कोइ ओकर परिजन कें ई फोन केलकै जे अहाँक गामक एक लड़का कें एत’ किछु व्यक्ति पीट रहल अछि। जाबत धरि ओकर परिजन ओत’ पहुँचय, ओकरा अधमरू क’ नहरक कात मे फेकि देल गेल रहै। परिजन जहन ओकरा देखलनि त’ हुनका सभ कें लगलनि जे ओ जीवित अछि। सभ ओकरा उपचारक लेल सदर अस्पताल ल’ गेल मुदा सुभाष चौक पर पहुँचिते ओकर मृत्यु भ’ गेलैक। परिजन केर मानी त’ ओकर कहब छल जे राम बहादुर सहनी एहि घटनाक सूमचना बिकाऊ मुखिया कें देलनि। बिकाऊ मुखिया तुरंत एहि बातक सूचना परिजन लोकनि कें देलनि।
मृतक केर पहिचान प्रयाग मुखिया, उम्र 36 वर्ष (पिता स्वर्गीय दसई मुखिया, वार्ड नंबर 14) ग्राम सोनमनी केर रूप मे भेल अछि। घटनाक बाद पूरा गाम मे शोक केर वातावरण अछि। किछु लोक अपन नाम नहि छापबाक शर्त पर बतौलनि जे लोक सभ एकरा मुर्गी चोर कहि क’ पीट’ लगलैक। कोइ ओकरा बचेबाक प्रयास नहि कयलक। घटनाक सूचना रहिका थाना कें देल गेल मुदा घटनास्थल पर पुलिस सेहो नहि पहुँचल। प्रयाग केर दू टा छोट-छोट धिया-पुता सभ अछि। ओकर समक्ष दुखक पहाड़ टूटि परल अछि। परिजन सबहक सेहो हाल बेहाल अछि।
एहि घटनाक संदर्भ मे राम बहादुर सहनी सँ जहन पूछल गेल त’ ओ बतौलनि जे जीवछ चौक पर चर्चा चलि रहल छल जे एक व्यक्ति कें पकड़ि कें कब्रगाह लग पीट-पीट क’ हत्या क’ देल गेल अछि। एकर बाद हम पता लगेलहुँ त’ पता लागल जे जाहि युवक कें पीटल गेल अछि, ओकर घर सोनमनी गाम अछि। घटनाक सूचना रहिका थाना कें देल गेल मुदा रहिका थानाक पुलिस घटनास्थल पर नहि पहुँचल। एहि संबंध मे रहिका थाना प्रभारी कहलनि जे एहन कोनो घटनाक सूचना नहि भेटल अछि। जँ कोनो आवेदन आबैत अछि त’ देखल जायत की भेल की अछि?
4,686 total views
More Stories
सुपौल : तेज रफ्तार बाइक बसमे मारलक टक्कर, एक गोटेक मृत्यु
प्रेमी संग भागल युवती पहुंचल थाना, कहलक – सासुरबला रखबा सं क’ रहल अछि मना, फरार अछि पति
मधुबनी मे रेस्टोरेंट संचालक गोली मारि क’ देल गेल हत्या, भूमि विवाद सँ जोड़ल जा रहल मामला