मोतिहारी :
छौड़ादानो थाना क्षेत्रक चैनपुर गाम मे बुधक दुपहर एक विवाहिताक संदिग्ध परिस्थिति मे मृत्यु भ’ गेल। काजल देवी (25) चैनपुरक सुनील बैठाकपत्नी छल। हुनकर दू बच्चा अछि। ग्रामीण एवं मृतकाक काका गौरीशंकर बैठा सँ भेटल जानकारीक अनुसार मृतकाक पति सुनील बैठा सात भाइ अछि।
Advertisement
छह भाइ तमिलनाडुक राइस मिल मे मजदूरी करैत अछि। घटनाक समय हुनका मे सँ कियो घर पर नहि छल। मृतका अपना हिस्सा मे नेबोक गाछ लगौने छल। हुनकर दियादनी रोज चोराक’ नेबो तोड़ि लैत छल। एहि सँ दू दिन सँ परिवार मे झगड़ा चलि रहल छल। बुध कें सेहो नेबो कें ल’क’ झगड़ा भ’ रहल छल।
एकर सूचना मृतका अपना पति के फोन सँ देने छल। हुनकर पति फतुहा गामक अपना एक संबंधी कें फोन क’ चैनपुर जाम तथा ओतए कें स्थिति सँ अवगत करएबाक अनुरोध केने छल। हुनका अनुरोध पर जखन हुनकर संबंधी चैनपुर पहुंचल, तँ देखलक जे घर मे काजल देवी मृत पड़ल अछि। हुनकर सासुर वला फरार अछि।
संबंधी द्वारा हल्ला करए पर अगल-बगल के लोक पहुंचल। हुनकर दू वर्षक छोट बच्चा कें सेहो सास, ननद आ दियादनी अपना संग ल’क’ चलि गेल अछि।बड़का बेटा बदहवास हाल मे घटनास्थल पर उपस्थित अछि।
मृतका के काका गौरीशंकर बैठा बतौलनि जे काजलक सासु तिरुपति देवी, ननदि रिभा देवी आ निभा देवी तथा दियादनी तेतर देवी हुनका संग मारिपीट व गला दबाकए हुनकर हत्या क’ देलक अछि। किछु स्थानीय लोक एहि कें आत्महत्या बता रहल छल। घटनाक सूचना भेटए पर पुलिस पहुंच गेल।
5,746 total views
Advertisement
More Stories
झंझारपुर : नीक सँ पाइप लगा क’ आरएस क्षेत्रक कयल जाएत जल निकासी
Warning: substr_count(): Empty substring in /home/zkzmkndv/public_html/wp-content/plugins/ads-for-wp/output/functions.php on line 1274
1 min read
स्वच्छ भारत मिशन कें पूरा करबा लेल तैयार अछि शानवी इंटरप्राइजेज
आसक पटरी पर भरोसक संग भेल पहिल दिनक यात्रा