June 27, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

प्रेमी संग भागल युवती पहुंचल थाना, कहलक – सासुरबला रखबा सं क’ रहल अछि मना, फरार अछि पति

झंझारपुर :

Advertisement
प्रेमी संग दू दिन पूर्व भागल युवती वापस पुलिस केर शरण मे पहुंचल।  भैरवस्थान थाना पहुंचक’ युवती  आवेदन द’ क’ पुलिस सं सहयोग करबाक गोहारि लगौलक अछि। महिनाथपुर पंचायतक रहयवाली युवती अपन आवेदन मे कहलक अछि जे ओकर प्रेम प्रसंग लोहना उत्तर पंचायत केर रूपौली गामक मंटू महतो (पिता विनोद महतो) सँ कतेको मास सँ चलि रहल छल। छह मास सं ओ मिंटू महतो संग जीवनसाथीक रूप मे रहैत छल। दुनू गोटे सदा संग रहबाक संकल्प लेने छल। परिजन आ परिवारक विरोध कें देखैत दू दिन पूर्व युवती प्रेमी संग कत्तहु अन्यत्र जा क’ विवाह क’ लेलक आ वापस युवक संग सासुर पहुंचल। मुदा युवक केर माता-पिता ओकरा ओकरा रखबा सं मना क’ देलक आ युवक कें कतौ भगा देलक। युवतीक कहब अछि जे प्रेमी सं पति बनल मंटू महतोक माता-पिता आ अन्य परिजन लोकनि ओकरा संग अभद्र व्यवहार कयलनि। ओकरा संग मारिपीट कयल गेल आ ओकरा गारि द’ क’ अपमानित कयल गेल। युवतीक कहब अछि जे ओकरा पति संग रहबाक अछि आ एहि मामला मे पुलिस ओकर सहयोग करय। एहि संबंध मे थानाध्यक्ष रूपक कुमार अंबुज कहलनि जे दुनू बालिग अछि। अपन मर्जी सं शादी करनाइ आ संग रहनाइ दुनूक कानूनी अधिकार अछि। आवेदन पर जांचक बाद आवश्यक कार्रवाइ कयल जायत।

 4,314 total views

Advertisement
Spread the love