Warning: substr_count(): Empty substring in /home/zkzmkndv/public_html/wp-content/plugins/ads-for-wp/output/functions.php on line 1274
June 27, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

मधुबनी मे रेस्टोरेंट संचालक गोली मारि क’ देल गेल हत्या, भूमि विवाद सँ जोड़ल जा रहल मामला


Warning: substr_count(): Empty substring in /home/zkzmkndv/public_html/wp-content/plugins/ads-for-wp/output/functions.php on line 1274

राजनगर/ मधुबनी : मधुबनी रामपट्टी सड़क कें मण्डल कारागार लग स्थित मिथिला मीट हाउस मे आधा दर्जन अपराधी पहुंच क’ अंधाधुंध फायरिंग क’ देलक। एहि फायरिंग मे रेस्टोरेंट मालिकक मृत्यु भ’ गेलनि। बताओल गेल जे शनिदिन दुपहर मे रामपट्टी दिस सँ  छह केर संख्या मे आयल अपराधी  उक्त रेस्टोरेंट मे पहुँचल आ ताबड़तोड़ गोलीक  बौछार क’ देलक। एहि गोलीबारीक घटना मे रेस्टोरेंट संचालक स्थानीय निवासी संजय यादव गम्भीर रूप सँ घायल भ’ गेलाह। जिनका सदर अस्पताल मधुबनी ल’ जायल गेल। जतय चिकित्सक लोकनि  घायल केँ  मृत घोषित क’ देलक। घटनाक संबंध मे मृतकक एक गोट परिजन  बतौलनि जे स्थानीय एक अपराधी सँ मृतक संजय यादवक दुश्मनी छल। परिजन सभकेँ ओहि अपराधी पर ई घटनाक अंजाम देबाक शंका छनि।  राजनगर थाना पुलिस द्वारा लहास कें पोस्टमार्टम कराओल जा रहल छल। एम्हर पुलिस घटनाक बाद अपराधी लोकनि के पता लगाबय मे जुटि गेल छथि।  कहल जा रहल अछि जे भूमि विवाद मे ई हत्याकांड भेल अछि।

 3,780 total views

Advertisement
Spread the love