June 27, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

दरभंगा मे जल्दिए घरेलू गैस पाइप लाइनक कार्य हैत शुरू : सांसद

  • मिथिला क्षेत्रक पांच गोट जिला मे गैस पाइप लाइन सँ हैत गैसक आपूर्ति

दरभंगा : मंगल दिन दरभंगा सांसद डॉ गोपाल जी ठाकुर कोलकाता मे एक गोट होटल मे बीपीसीएल केर जीएम रउफ मोहमद खान, डीजीएम मनीष पाटनी एवं टेरेटरी मैनेजर सैलेश कुमारक संग सिटी गैस डिस्ट्रीब्यूशन एवं सीएनजी स्टेशनक स्थापना के ल’ क’ एक गोट उच्चस्तरीय बैसार कयलनि। बैसारक क्रम मे केंद्रीय पेट्रोलियम मंत्री केर सचिव सी एम शर्मा एवं ज्वाइंट सेक्रेटरी आनंद झा सँ दूरभाष पर बात कयलनि। बैसारक पश्चात सांसद डॉ ठाकुर ने कहलनि जे केंद्र सरकार एवं पेट्रोलियम मंत्रालयक अधीन संचालित पेट्रोलियम एवं प्राकृतिक गैस विनियामक बोर्ड (पीएनजीआरबी) दरभंगा सहित मिथिला क्षेत्रक पांच गोट जिला मे पाइप लाइनक माध्यम सँ रसोई गैस आपूर्ति (पीएनजी) एवं सीएनजी पंप केर स्थापना हेतु स्वीकृति प्रदान क’ देलनि अछि। एकरा अन्तर्गत एहि चयनित जिला सभ मे कार्य करबा हेतु भारत पेट्रोलियमक चयन कएल गेल अछि। ओ कहलनि जे एकरा ल’ क संबंधित क्षेत्रीय अधिकारी केर नियुक्ति भ’ चुकल अछि।

सांसद कहलनि जे अधिकारी सभक द्वारा जल्दिए एक डिटेल्स फीजिबिलिटी रिपोर्ट तैयार कएल जायत, आ तत्पश्चात मास्टर प्लान बनाक’ कार्य प्रारंभ कएल जायत। ओ कहलनि जे दरभंगा मे एहि कार्यक शुभारंभ केंद्रीय पेट्रोलियम मंत्री हरदीप सिंह पूरी करताह। बैसारक क्रम मे सांसदक संग मिथिला विकास परिषद केर अध्यक्ष अशोक झा एवं अशोक कुमार उपस्थित रहलाह।

 

 4,103 total views

Advertisement
Spread the love