- पूर्वोत्तर राज्यक यात्रा हैत आसान
- अटल बिहारी बाजपेयी रखने छलाह नीव
- जुलाई सँ शुरू भ’ सकैत अछि सहरसा- फारबिसगंजक बीच रेल परिचालन
झंझारपुर : नौ दसक बाद एक बेर फेर सँ मिथिला एक हैैै। सात मई सँ सहरसा दरभंगा भाया सुपौल निर्मली झंझारपुर केर बीच एक बेर फेर सँ ट्रेनक परिचालन शुरू भ’ सकत।
जनतब दी जे 15 अगस्त 2002 तत्कालीन प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी चारि महत्वाकांक्षी रेल परियोजनाक घोषणा कयने छलाह ताहि मे कोशी महासेतु रेल पुल महत्वपूर्ण योजना मे सरीक छ्ल। करीब 2 किलोमीटर नमह पुल करीब 400 सौ करोड़ सँ बेसी राशि केर लागत सँ तैयार कयल गेल। वर्ष 2014 ई मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कोसी महासेतु रेल पुल पर युद्ध स्तर पर कार्य करबाक निर्देश देने छलाह। वर्ष 2018 केर बाद कोशी रेल महासेतु पुलक निर्माण तेज गति सँ शुरू भेल। वर्ष 2020 केर अंत तक एकरा पूरा क’ लेल गेल। वर्ष2021मे कोशी महासेतु रेल पुल केर कमिशनर ऑफ रेलवे सेप्टी केर द्वरा निरीक्षण कयल गेल छल। आब एहि सेक्सन पर ट्रेनक परिचलन शुरू भ’ सकत। 7 मई सँ सहरसा ,निर्मली, दरभंगाट बीच ट्रेन परिचालन शुरू भेलाक बाद मिथिलाक बीचक दूरी घटि जाएत। सहरसा, सुपौल, झंझारपुर, निर्मली, भ’ क’ ट्रेन परिचालन शुरू भ’ सकत। अपितु ई बुझू जे उत्तर बिहारक ई वैकल्पिक रेल मार्ग सेहो हैत जे पूर्वोत्तर राज्य सँ कोशी व कमलांचल दरभंगा मधुबनी केर सीधा जोड़थ। एहि मार्ग केर चालू भेला सँ मिथिला केर बीच रोजगार केर साधन सेहो बढ़त। सहरसा, सुपौल, ललित ग्राम, फारबिसगंज, सकरी, निर्मली, दरभंगा, लौकही करीब 206 किलोमीटर नमहर नव रेल परियोजना पर करीब 14 सौ करोड़ सँ बेसी राशिक खर्च आएल अछि। जहनकि ललित ग्राम सँ फारबिसगंज केर बीच रेलवे ट्रैक बिछाबय केर कार्य कयल जा रहल अछि। वर्तमान मे सहरसा सँ रायगढ़ आसनपुर तक ट्रेनक परिचालन कयल जा रहल अछि। जुलाई तक सहरसा सँ फारबिसगंज तक लेल परिचालन शुरू भ’ सकत।
4,526 total views
Advertisement
More Stories
झंझारपुर : नीक सँ पाइप लगा क’ आरएस क्षेत्रक कयल जाएत जल निकासी
जानकी नवमी पर फिल्म बबितिया लेल सम्मानित कयल गेलाह सुनील कुमार झा
Warning: substr_count(): Empty substring in /home/zkzmkndv/public_html/wp-content/plugins/ads-for-wp/output/functions.php on line 1274
1 min read
स्वच्छ भारत मिशन कें पूरा करबा लेल तैयार अछि शानवी इंटरप्राइजेज