Warning: substr_count(): Empty substring in /home/zkzmkndv/public_html/wp-content/plugins/ads-for-wp/output/functions.php on line 1274
नेताजी कहलिन जे ‘अजान पढ़नी हो तो पाकिस्तान चले जाओ, हिन्दूस्तान सदियों से हनुमान का देश है
सीवान
देश मे भो रहल लाउडस्पीकर विवाद अब बिहार के सीवान सेहो पहुंच चुकल अछि| अइमे जेडीयू सासंद कविता सिंह के पति अजय सिंह सेहो जोड़ शोर सं कूद पड़ल छथि| अजय सिंह कहलनि जे
‘ अजान पाकिस्तान में होता है| हिन्दुस्तान तो सदियों से हनुमान का देश रहा है यहाँ पर हनुमान चालीसा होता रहेगा| अजान करने वाले पाकिस्तान चले जाओ| अगर हिन्दुस्तान में रहना है तो हनुमान चालीसा का पाठ करना ही होगा|’
–अजय सिंह
सासंद इ बात दू दिन पहिले महाराणा प्रताप जयंती के कार्यक्रम मे सीवान मे कहने छला| सासंद पति मंच सं इशारा इशारा मे बिना ककरो नाम लेने मुगलक वंशज के खूब लताड़क| अजय सिंह देश मे चल रहल हनुमान आ अजान के विवादित बयानबाजी पर कहलिन जे| ‘ हिन्दुस्तान हनुमान के देश अछि आ पाकिस्तान अजान के देश अछि| पाकिस्तान मे अजान के कोई रोक नै आबेत अछि|’
सिंह कहलिन जे ‘ई हनुमानक देश अछि| अतह हनुमान चालीसा हेबे करत| हिन्दुस्तान मे हनुमान चालीसा पर बैन लगब बला मिट जैत| जलके राख भो जायत, जना लंका पूरा जलक राख भो गेल छला| हिन्दुस्तान मे सदियों सं हनुमान चालीसा होईत छला आ सदियों तक होईत रहत|’
अजय सिंहक पत्नी सासंद कविता सिंह कहलिन जे ‘ सबसं पहिने सनातन धर्म आएल छल| अपन धर्म शुरुआत सं आगे रहल अछि, कहां कोनो धर्म के मानू, लेकिन सनातन धर्म जे सबसं आगे अछि अई पर राजनीति नै हेबाक चाही| हनुमान चालीसा हम मौन मे पढू, घर मे पढू या कतो पढू, अई पर राजनीति नै हेबाक चाही|
2,507 total views
More Stories
बाभन कें चूड़ा, यादव कें दही : बिहार मे उछलल नव नारा
आर्थिक संकट मे नेपाल, भारत-चीन कतेक अछि संग?