ई सम्मान ‘बबितिया’क सम्मान नहि, अपितु मिथिलाक समस्त बेटीक सम्मान अछि : मृदुला मिश्रा
Advertisement
एहन तरहक सिनेमाक निर्माण सँ समाज मे जाइत अछि एकटा सकारात्मक संदेश : शारदा सिन्हा
मधुबनी : जानकी नवमी पर मैथिली फीचर फिल्म ‘बबितिया’ लेल मधुबनी निवासी सुनील कुमार झा कें पटनाक विद्यापति भवन मे मैथिली महिला संघ दिस सँ सम्मानित कयल गेलनि। हुनका ई सम्मान सुप्रसिद्ध लोक गायिका शारदा सिन्हा आ चाणक्या नेशनल लॉ यूनिवर्सिटी केर कुलपति श्रीमती मृदुला सिन्हा आ मैथिली महिला संघक महिला लोकनि सभ द्वारा प्रदान कयल गेल। एहि अवसर पर फिल्म ‘बबितिया’क लगभगल तमाम कार्यकर्ता लोकनि उपस्थित छलाह।
समस्त मिथिवासी देखथि एहि फिल्म कें
कार्यक्रमक उद्घाटन करैत अतिथि लोकनि।
मैथिली महिला संघ, पटना दिस सँ ‘बबितिया’ सिनेमाक निर्माता आ निर्देशक सुनील कुमार झा कें ई सम्मान नारी सशक्तिकरण कें बढ़ावा देबा लेल देल गेलनि। फिल्मक संबंध मे बात करैत पद्म भूषण श्रीमती शारदा सिन्हा कहलनि जे एहन तरहक फिल्मक निर्माण सँ समाज मे एकटा सकारात्मक संदेश जाइत अछि। ओ कहलनि जे एहि फिल्म कें प्रत्येक मिथिलावासी कें देखक चाहिऐन जे कोना एकटा साधारण लड़की अपन हिम्मत केर बल पर अपन लक्ष्य कें प्राप्त करैत अछि। ओ एहि फिल्मक निर्माण लेल ‘बबितिया’ केर संपूर्ण टीम कें बधाइ आ शुभकामना देलनि।
अपन टीमक संग सुनील कुमार झा।
सीता जकाँ अछि बबितियाक संघर्ष
कार्यक्रम कें संबोधित करैत पूर्व न्यायमूर्ति आ चाणक्या नेशनल लॉ यूनिवर्सिटी केर कुलपति श्रीमती मृदुला मिश्र कहलनि जे वस्तुत: ई सम्मान मात्र ‘बबितिया’क सम्मान नहि अछि, अपितु ई सम्मान मिथिलाक ओहि समस्त बेटीक सम्मान अछि जे अपन जीवन स्तर मे सुधार अनबाक लेल संघर्षरत अछि। जहिना जानकीक जीवन धैर्य आ साहसक परिचायक अछि, ठीक ओहिना बबितियाक जीवन अछि। ई सिनेमा समस्त मिथिलाक लेल प्रेरणा स्रोत अछि।
कार्यक्रम मे भाग लैत दर्शक लोकनि।
एकटा सामान्य परिवारक लड़कीक संघर्ष गाथा अछि ‘बबितिया’ : सचिव
एहि संबंध मे मैथिली महिला संघक सचिव श्रीमती कल्पना झा कहलनि जे ई सिनेमा नारी सशक्तीकरण कें बढ़ावा दैत अछि। फिल्म ‘बबितिया’ मे एकटा सामान्य परिवारक लड़कीक संघर्ष गाथा अछि जे अपन बल पर अपन लक्ष्य कें प्राप्त करैत अछि। तें जानकी नवमी पर एहि फिल्मक निर्देशक सुनील कुमार झा आ हुनक टीम कें एहि सम्मान लेल चुनल गेलनि।
आगामी फिल्म ‘झिलमिलिया’ पोस्टर जारी करैत निर्देशक।
जल्दिए शुरू कयल जाएत फिचर फिल्म ‘झिलमिलिया’ केर शूटिंग
कार्यक्रम कें संबेाधित करैत निर्माता आ निर्देशक सुनील कुमार झा कहलनि जे स्त्री सशक्तिकरण कें बढ़वा देबाक हमर प्रयास अगुओ जारी रहत। ओ कहलनि जे जल्दिए जानकी फिल्म्स प्रोडक्शन प्राइवेट लिमिटेड द्वारा अगिला फिल्म ‘झिलमिलिया’ केर शूटिंग शुरू कयल जाएत। ई फिल्म स्त्री सशक्तिकरण कें त’ बढ़ावा देबे करत, संगहि हाइवे बनलाक बाद बदलल गामक व्यथा-कथा सेहो कहत।
More Stories
झंझारपुर : नीक सँ पाइप लगा क’ आरएस क्षेत्रक कयल जाएत जल निकासी
Warning: substr_count(): Empty substring in /home/zkzmkndv/public_html/wp-content/plugins/ads-for-wp/output/functions.php on line 1274
1 min read
स्वच्छ भारत मिशन कें पूरा करबा लेल तैयार अछि शानवी इंटरप्राइजेज
आसक पटरी पर भरोसक संग भेल पहिल दिनक यात्रा