June 27, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

झंझारपुर : नीक सँ पाइप लगा क’ आरएस क्षेत्रक कयल जाएत जल निकासी

  • बिजली कटला पर भाड़ाक जनरेटर सँ चलाएल जाएत पंप
  • आवश्यकता पड़ला पर अलग ट्रांसफार्मरक हैत व्यवस्था

झंझारपुर : अनुमंडल क्षेत्रक बेहट दक्षिणी पंचायत भवन पर झंझारपुरक विधायक आ पूर्व मंत्री नीतीश मिश्र रेलवे अभियंताक एकटा विशेष टीम संग आरएस क्षेत्र मे लगैबला जलजमाव आ ओहि सँ उत्पन्न समस्याक निदानक लेल एकटा बैसार कयलनि आ समस्याक निदानक लेल विचार-विमर्श कयलनि। जनतब दी जे झंझारपुर आरएस क्षेत्र मे लगैबला जल जमाव आब नासूर बनि गेल अछि। बैसारक संबंध मे विधायक श्री मिश्र जनब देलनि जे वर्तमान मे त्वरित निदानक लेल पंप हाउस एवं बिजली व्यवस्थाक अतिरिक्त नाला कचराक सफाई पर फोकस कयल गेल। स्थाइ निदानक लेल नेचुरल ड्रेनेजक अतिरिक्त अन्य मुदा पर सेहो गंभीर चर्चा कयल गेल। ओ बतौलनि जे रेलवे केर चीफ मुख्य अभियंता पंप हाउस द्वारा नीक ढंग सँ पाइप लगाएल जाएत। बिजली विभागक एसडीओ संग वार्ता मे ई तय भेल जे आवश्यकता पड़ला पर एकटा अलग सँ ट्रांसफार्मर लगाएल जाएत। जनप्रतिनिधि आ पंचायत प्रतिनिधि संग विधायक निर्णय लेलनि जे विपरीत परिस्थिति मे बिजली कटला पर पंप कें भाड़ाक जनरेटर सँ चलाएल जाएत।

जनतब दी जे सात मई कें झंझारपुर-सहरसा रेलक उद्घाटनक क्रम मे विधायक नीतीश मिश्र संग डीआरएम केर बैसार भेल छल। एहि बैसार मे आरएस क्षेत्र मे जलजमाव कें दूर करबाक मांग संगहि पंप हाउस कें कारगर बनेबाक लेल अभियंताक एकटा टीम कें पठेबाक आग्रह कयल गेल छल। एकर चारि दिन बाद 11 मई कें अभियंताक एकटा टीम झंझारपुर पहुंचल। अभियंताक टीम सभसँ पहिने रेलवे परिसर पहुंचल आ पंप हाउस लग सेहो गेल। टीम कैथिनिया गुमटीक निरीक्षण सेहो कयलक। गुमटी केर आगू सँ जल निकासी पर सेहो चर्चा कयल गेल। अभियंताक टीम मे मुख्य अभियंता निर्माण आरके बादल, वरीय मंडल अभियंता समन्वय आरएन झा, कार्यपालक अभियंता निर्माण डीके चौधरी, वरीय अभियंता निर्माण नलिन बिहारी एवं वरीय अनुभाग अभियंता कार्य संजीव कुमार पहुंचल छला। पंचायत भवन पर भेल बैसक मे वीडियो विनोद आनंद केर अलावा कतेको जनप्रतिनिधि व गणमान्य लोक उपस्थित छलाह।

 

 15,528 total views

Advertisement
Spread the love