October 1, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

[ADINSETER AMP]

जयनगर : कमलाक कटावसँ महादलित बस्तीकेँ बचेबाक प्रयास भेल तेज

[ADINSETER AMP]
  • कमला नदीक कटावमे दू गोट घरकेँ विलीन भेलाक बाद नायलॉन क्रैट आओर हाथी पांवसँ नदीक धारा मोड़बा पर चलि रहल अछि काज
  • कहलनि स्थानीय लोक – पहिने कयल गेल रहैत प्रयास त’ दू घरकें बचाएल जा सकैत छल

 

[ADINSETER AMP]

जयनगर : कमला नदीक पश्चिमी तटबंधक भीतर बसल जयनगर शहरी क्षेत्रक वार्ड 12 मे नदीक कटावकेँ रोबबाक प्रयास तेज क’ देल गेल अछि। बाढ़ नियंत्रण प्रमंडल 2 झंझारपुरक कार्यपालक अभियंता कुमुद रंजन झाक नेतृत्वमे अभियंता सभक टीम आओर दर्जनों मजदूर काज क’ रहल छथि। बालूक हजारो बोरा राखल गेल अछि। मंगल दिन भोला पासवानक अर्धनिर्मित पक्का मकान आओर चलितर दासक घर कटावसँ नदीमे ख़सि पडलाक बाद महादलित बस्तीकेँ बचेबाक काज युद्ध स्तर पर शुरू क’ देल गेल अछि। स्थल पर कैंप क’ रहल ईई कुमुद रंजन झा जानकारी देलनि जे नैलुन केर क्रैट डालि क’ पांच मीटरक दूरी पर डिफ्लेक्टरक निर्माण कयल जा रहल अछि। सौल कटिंग, हाथी पांव आओर जालक प्रयोग क’ नदीक धाराकेँ मोड़बाक प्रयास चलि रहल अछि। ओ कहलनि जे एक सँ दू दिनमे काज पूरा क’ लेल जाएत आओर बस्तीक मुँहपर बहि रहल नदीक धारकेँ दोसर दिस मोडि देल जाएत। कार्य स्थलपर जेसीबी मशीनक उपयोग सेहो कयल जा रहल अछि। बस्तीक लोक सभ विभागीय काजक गति पर संतोष जतबैत कहलनि जे एहन सक्रियता पूर्वमे देखाएल गेल रहैत त’ दुनू घरकेँ बचाएल जा सकैत छल। हालांकि विभागक द्वारा पूर्व मे सूचना भेटला पर कटाव निरोधी काज कराएल गेल छल मुदा नदीक तेज धाराक सामने ई प्रयास पर्याप्त नहि छल। जयनगर बजारक सटल पूरब बान्हक कात बसल वार्ड 12 केर महादलित बस्तीक निर्वाचित पार्षद सह नपक मुख्य पार्षद कैलाश पासवान, क्षेत्रक विधायक अरुण शंकर प्रसाद आओर एसडीएम बेबी कुमारी सेहो कटाव स्थलक निरीक्षण कयने छलथि। जल संसाधन मंत्री संगहि विभागक वरिष्ठ अभियन्ता सभक ध्यान आकृष्ट करा महादलित बस्तीकेँ कटावसँ बचेबाक अनुरोध कयल गेल छल।

 7,849 total views

Spread the love
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]