December 1, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

[ADINSETER AMP]

बुनियादी सुविधाक लेल तरसि रहल अछि खजौली सीएचसी

[ADINSETER AMP]
  • आवश्कताक अनुरूप डॉक्टर आ अन्य कर्मीक अछि अभाव
  • समस्याकेँ दूर करबाक लेल नहि भ’ रहल अछि विभागीय पहल

मधुबनी : जिलाक खजौली प्रखंडक लगभग डेढ़ लाख लोकक स्वास्थ्य सुविधाक लेल सामुदायिक स्वास्थ्य केंद्र स्थापना कयल गेल छल मुदा ई स्वास्थ्य केंद्र स्वयं समस्याक मकड़जालमे ओझरा गेल अछि। अपन स्थापना कालेसँ ई स्वास्थ्य केंद्र बुनियादी सुविधाक लेल तरसि रहल अछि। एत’ आवश्यकताक अनुरूप ने त’ चिकित्सक उपलब्ध छथि आ ने आन स्वास्थ्यकर्मी। एत’ भवनक सेहो घोर अभाव अछि। समस्याक मकड़जालमे फंसल एहि स्वास्थ्य केंद्रक स्थिति सुधारबाक लेल विभागीय स्तरपर कोनो पहल नहि भ’ रहल अछि। आम लोककेँ नीक स्वास्थ्य सुविधा उपलब्ध करेबामे ई स्वास्थ्य केंद्र लगातार विफल रहल अछि।

[ADINSETER AMP]

 

भूमि आ भवनक अछि अभाव

एहि स्वास्थ्य केंद्र लग भूमि आ भवनक सेहो अभाव अछि। भूमिक अभावमे एत’ आधा-अधूरा सीएचसी भवनक निर्माण कराओल गेल अछि। स्वास्थ्य केंद्र परिसरमे चिकित्सक आ चिकित्सा कर्मीक रहबाक लेल कोनो व्यवस्था नहि अछि। कर्मी स्वास्थ्य केंद्रक बाहरे रहैत छथि। भवनक अभावमे एत’ 30 बेडक बदला 12-14 बेडक अस्पतालक संचालन कहुना कयल जा रहल अछि। 30 बेड अस्पतालक लेल जे संसाधन उपलब्ध अछि ओ बेकार पड़ल अछि आ खराब भ’ रहल अछि।

 

[ADINSETER AMP]

अछि चिकित्सक आ कर्मीक अभाव

एहि स्वास्थ्य केंद्रमे चिकित्सक आ कर्मी घोर अभाव अछि। एमबीबीएस चिकित्सकक आठ पदक विरुद्ध एत’ मात्र दू गोट चिकित्सक पदस्थापित छथि। चिकित्सकक अभावमे स्वस्थ्य केंद्रक ओपीडीक संचालन आयुष आ दंत चिकित्सकक सहारे होइत अछि। एत’ जीएनएम केर 16 पद स्वीकृत अछि मुदा कार्यरत मात्र चारि जीएनएम छथि। एहि अस्पतालमे कोनो महिला चिकित्सक पदस्थापित नहि छथि फलस्वरूप पुरुष चिकित्सकक देखरेखमे प्रसव कराएल जाइत अछि। एत’ ड्रेसर केर पाँच् पद स्वीकृत अछि मुदा एक ड्रेसरक सहारे संपूर्ण अस्पतालक काज चलि रहल अछि। जीएनएम केर 16 पद स्वीकृत अछि मुदा कार्यरत मात्र 14 गोटे छथि। फर्मासिस्टक लेल स्वीकृत तीन पदक विरुद्ध एक फर्मासिस्टक सहारे पूरा अस्पतालक काज चलि रहल अछि। अहिना नर्सक लेल चारि पद स्वीकृत अछि मुदा दू गोट नर्स मात्र कार्यरत छथि।

 

जन औषधालयक नहि अछि दोकान

स्वास्थ्य केंद्र परिसरमे जन औषधालयक एकहुटा दोकान नहि अछि। तेँ एहि ठाम आबैबला रोगीकेँ मात्र स्वास्थ्य केंद्रमे उपलब्ध दवाइ मात्र भेटैत छनि। अन्य आवश्यक दवाइक लेल रोगी आ हुनक परिजनकेँ बहार जाय पड़ैत छनि। बाहरमे मनमाना दामपर दवाइ भेटैत अछि।

 

परिवार नियोजनमे होइत अछि परेशानी

बेडक अभावमे एत’ समय-समय पर होम’ बला परिवार नियोजन कार्यक्रमक संचालनमे सेहो परेशानी होइत अछि। बेडसँ बेसीक संख्यामे महिलाक परिवार नियोजन भेलापर हुनका फर्शपर एकटा चद्दरि द’ क’ सुता देल जाइत अछि। जाड़क मौसिममे जे महिला परिवार नियोजनक लेल अबैत छथि, हुनका बेसी परेशानी होइत छनि।

 

जांचक नहि अछि सुविधा

एहि सीएचसीमे जांचक सुविधा सेहो उपलब्ध नहि अछि। एत’ एक्स-रे, खून आ टीबी रोगत जांच त’ होइत अछि मुदा अन्य आवश्यक जांचक सुविधा एत’ उपलब्ध नहि अछि। तें रोगीकेँ अन्य आवश्यक जांचक लेल बाहर जाय पड़ैत छनि।

 

कयल जाइत अछि नीक सुविधा देबाक प्रयास

एहि संबंधमे खजौली सीएचसीक प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. ज्योतेंद्र नारायण चौधरी कहैत छथि जे भवन, कर्मी सहित अन्य संसाधनक अभाव अछि। एकर बादो विभागक निर्देशानुसार एत’ स्वास्थ्य सुविधाक संचालन कयल जा रहल अछि। लोक सभकेँ नीक सुविधा देबाक प्रयास कयल जाइत अछि।

 29,430 total views

Spread the love
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]