December 4, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

[ADINSETER AMP]

सुपौल : तेज रफ्तार बाइक बसमे मारलक टक्कर, एक गोटेक मृत्यु

[ADINSETER AMP]

सुपौल : सदर थाना क्षेत्रक हरदी गाम लग तिलाबे नदी पुलसँ पुबारी कात बृहस्पतिकेँ भोरे भोर एस एच 66 सुपौल सिंघेश्वर रोड पर तेज रफ्तार मोटर साइकिलकेँ सिंघेश्वर दिससँ आबि रहल भूतपूर्व सैनिक नामक बससँ सोझा सोझी भेल टक्करमे मोटरसाइकिल सवार दुइ गोट जवान युवकमे एकटाक घटनास्थले पर प्राण चलि गेल, त’ दोसर जिनगीक लेल संघर्ष क’ रहल अछि। जनतब दी जे एस एच 66 पर हरदी गाम लग तिलाबे पुलसँ पुबारी कात सुपौल दिससँ ग्लैमर मोटरसाइकिलपर दुईटा युवक सिंघेश्वर दिस जाइत रहैक। घटनास्थल पर ठाड़ प्रत्यक्षदर्शीक मोताबिक मोटरसाइकिल बहुत तेज गतिमे छल जे दोसर दिससँ आबि रहल बसकेँ सोझा सोझी ठोकि देलक। घटना काल खेतमे काज करैबला लोक सब कहलनि जे बस चालक दुनू युवककेँ बचेबाक पूरा प्रयास केलक मुदा बाइक सवार अपने मस्ती मे छल ताहि लेल ई दुःखद घटना घटित भेल। जनतब दी जे पहिने त’ युवक द्वयक कोनो ठेकान पता नहि चलल। मुदा बादमे दुनु युवकक नाम सच्चिदानंद यादव आ श्याम यादव, ग्राम बैद्यनाथपुर थाना किसनपुर जिला सुपौलक रूप मे पहचान भेल। घटनाक जनतब होइते स्थानीय लोकक सहयोगसँ मृत सच्चिदानंद यादव आ घायल श्याम यादवकेँ पुलिस कैम्प हरदी के प्रभारी रमेश प्रसाद यादव आ पुलिस जवान सँगे उपस्थित लोक सभक सहयोगसँ सदर अस्पताल एकटा टेम्पूसँ पठौलक। बतायल जाइत अछि जे रोडपर स्टाइल मारबाक चक्करमे उक्त युवकक जान चलि गेल।

[ADINSETER AMP]

 25,956 total views

Spread the love
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]