बिना मँगने मोती भेटल, माँगल भेटल नहि भीख

[ADINSETER AMP]

नगर पंचायतमे खंडहर बनल पेपर मिल

[ADINSETER AMP]

 

  • संजय कर्ण

झंझारपुरः 1982मे नगर पंचायतक थानाक लगीच पेपर मिलक स्थापना कयल गेल। एहि प्रयाससँ झंझारपुर आ लगपासक क्षेत्रक लेल बिन माँगल मोती भेटलाक समान अछि। मुदा जखन पाँच वर्ष धरि पेपर मिलकेँ चालू भेलासँ रोजगारक उमीद दम तोड़ि देलक, त’ पेपर मिलकेँ चालू करबाक माँग लोक करय लागल। मुदा राजनेता सभक आपसी तालमेलक अभाव ई माँग एखन धरि साकार रूप नहि ल’ पेलक अछि। पेपर मिलक भवन आइ खंडहर बनि गेल अछि। लाखोक लागतसँ स्थापनाक समये कीनल गेल मशीन या त’ जंग खा क’ बर्बाद भ’ गेल वा फेर ओकर अधिकांश पार्ट पुर्जा चोरी भ’ गेल। 1980मे झंझारपुरकेँ अनुमंडलक दर्जा भेटल। अनुमंडलक स्थापनाक दू साल बाद पेपर मिलक स्थापना भेल  मुदा एखन धरि पेपर मिलकेँ चालू करबाक सपना पूरा नहि भ’ सकल अछि। एहि मुद्दाकेँ  एतुका जनता राजनेता सभक समक्ष चुनाक समय हो वा नहि हो अपन माँग रखिते रहला अछि आ आंदोलन सेहो करैत रहल अछि। मुदा कखन-कखन पेपर मिल चालू होयत, ई एखनो उमीदेपर टिकल अछि। जखन झंझारपुरमे औद्योगिक प्रांगणक स्थापनाक संगहि पेपर मिलक निर्माण शुरू भेल छल त’ ओहि समय ओ बिन मँगने भेटल छल। मुदा जकर बाद ओहि जेहन युवा सभ रोजी-रोटीक लेल पेपर मिलकेँ चालू कराओल जयबाक माँग करय लागल त’ कोनो राजनेता एकरा गम्भीरतासँ लेब उचित नहि बुझलनि। आब स्थिति ई अछि जे पंचायत स्थित औद्योगिक प्रांगण आइ अपन अस्तित्वक लेल तरसि रहल अछि। चुनावक समय औद्यौगिक प्रांगणकेँ जीर्णोधार कयल जयबाक आश्वासन देल जाइत रहल अछि। मुदा चुनाव समाप्त होइते सभटा आश्वासन आश्वासने रहि जाइत अछि। धीरे-धीरे स्थानीय व दबंग लोक औद्यौगिक प्रांगणकेँ अतिक्रमित सेहो क’ लेलक अछि।

1985 ई.मे स्थापित  औद्यौगिक प्रांगणमे पेपर मिलक लेल करोड़ोक लागतसँ भवन निर्माण कराओल गेल। ओकर बाद पेपर मीलकेँ ल’ क’ सेहो करोड़ो टाकाक मशीन मँगवाओल गेल। मुद आइ धरि मशीन बाहरमे राखल अछि। उक्त मशीन लोक सभक मुँह खौंझा रहल अछि। मशीन जंग लागि क’ खराब सेहो भ’ चुकल अछि। संगहि कबाड़ी एवं चोर सभक माध्यमे बेसीतर मशीनक पार्ट्सक चोरी सेहो क’ लेले गेल अछि। हालात ई अछि जे आब लोक औद्यौगिक परिसरमे नगर क्षेत्रक लोक कचड़ामे फेकैयमे प्रयोग करय लागल अछि।

[ADINSETER AMP]

की कहैत अछि लोक

अजय टिबड़ेवाल बतौलनि जे जखन पेपर मिलकेँ चालूये नहि करक छल, त’ लोक सभकेँ अश्वासन कियेक दियाओल गेल छल। पेपर मिल चालू होबैसँ लोक सभकेँ रोजगारक अवसरि भेटि जाइत। स्थानीय लोक दोसर प्रदेशमे नौकरी करबाकेँ विवश अछि। मानिक सिंहक कहब अछि जे पेपर मिलक मशीन सभमे जंग लागि क’  खराब भ’ चुकल अछि। ओतै स्थानीय लोक औद्यौगिक प्रांगणमे कचड़ा फेकि क’ एहि परिसरकेँ कचड़ामे बदलय लागल अछि। कोनो सार्थक पहल नहि कयल गेल, त’ आन्दोलन करबा लेल विवश होबय पड़त। मुकेश कुमार कहलनि जे औद्यौगिक प्रांगणके लोक अतिक्रमण करबामे लागल अछि। एकर अतिरिक्त प्रशासन मूक दर्शक बनल बैसल अछि। पानी टंकी निर्माणसँ लोक सभकेँ लागै लागल छल, जे कमसँ कम नगर वासीकेँ स्वच्छ पानि त’ नसीब होयत।

 

 3,166 total views

Spread the love
[ADINSETER AMP]
admin:

This website uses cookies.

[ADINSETER AMP]