December 4, 2022

Mithila Mail

मिथिलाक न्यूज मैथिली मे

[ADINSETER AMP]

एहि बेरक मीडिया परिवर्तन सम्मान 2022 संजय चौधरीकेँ

[ADINSETER AMP]

पटना : पत्रकारिताक क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदानक लेल वरिष्ठ पत्रकार संजय चौधरीकेँ परिवर्तन मीडिया सम्मान 2022सँ पटनामे बृहस्पति  दिनकेँ एकटा कार्यक्रमक दौरान सम्मानित कयल गेल। ओना श्री चौधरी एहिसँ पहिने कतेको बेर खोजी पत्रकारिता एवं पत्रकारिताक आदर्श मानक  सभक लेल सम्मानित कयल जा  चुकल छथि। श्री चौधरीकेँ आदि गुरु शंकराचार्यक संग-संग विभिन्न सरकारी एवं गैर सरकारी संस्थान द्वारा कतेको बेर सम्मानित कयल जा चुकल अछि। एहिबेर दीदी जी फाउंडेशन द्वारा पटनामे डॉ सच्चिदानंद सिन्हा परिवर्तन मीडिया सम्मान 2022सँ हुनका सम्मानित कयल गेल अछि। ई प्रतिष्ठित सम्मान डॉ सच्चिदानंद  सिन्हाक डेढ़ सौयम जयंतीक अवसरपर हुनका देल गेल अछि। कार्यक्रममे दर्जनो  लब्ध प्रतिष्ठित सम्मानित राजनीतिज्ञ सभक संग-संग विद्वान एवं वरिष्ठ पत्रकार सभक उपस्थिति रहला। ई सम्मान प्राप्त करबाक बाद वरिष्ठ पत्रकार संजय चौधरी कहलनि जे हुनका भेटल ई सम्मान  हुनकर सिद्धांत एवं आदर्शक लेल अछि। एहि गरिमा आ सम्मानकेँ जिन्दा रखबाक लेल ओ पत्रकारितामे ओहि लोक सभक लेल संघर्ष केलनि अछि जाहिपर अभिजात वर्गक नजर नहि पड़ैत अछि।  एहि सम्मानकेँ भेटलाक बाद पत्रकारिता जगतक संग-संग कतेको प्रशासनिक अधिकारी प्रसन्नता व्यक्त केलनि अछि।

[ADINSETER AMP]

 4,799 total views

Spread the love
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]
[ADINSETER AMP]