दरभंगा : सदर थाना क्षेत्रमे एकटा तीन वर्षीय बच्ची संग दुराचारक मामला सोझां आएल अछि। पड़ोसी तीन वर्षीय बच्चीक संग एकटा गाछीमे दुराचार केलक आ ओकरा खूनसं लथपथ हालतमे छोड़िक’ फरारभ’ गेल। घटनाक सूचना भेटलाक बाद परिजन आ स्थानीय लोक सभ उग्रभ’ गेल आरोपीकें ओकरा संगे मारिपीट शुरूक’ लेल गेल। मामलाक जनतब भेलाक बाद पुलिस ओत’ पहुंचल आ आरोपीकें पकड़ि लेलक। बच्चीकें गंभीर हालतमे इलाजक लेल डीएमसीएचमे भर्ती कराएल गेल अछि।

बताएल जाइत अछिजे बच्ची अपन घरक सामनेमे खेल रहल छल। घरक लोक सभा होलीक तैयारीमे जुटल छलाह। अही बीच पड़ोसी संतोष पासवान बच्चीकें कोरामे उठाक’ गाछी दिसल’ गेल। एत’ ओ बच्चीक संगे दुराचार केलक। एकर बाद ओ बच्चीकें खूनसं लथपथ हालतिमे ओत’ छोड़िक’ फरारभ’ गेल। एमहर जहन घरक लोक सभ बच्चीकें ताक’ लागलत’ कोइ ई सूचना देलकै जे बच्चीकें संतोष पासवान उठाक’ गाछी दिसल’ गेल अछि। जहन लोक सभा गाछी गेलत’ देखलक जे बच्ची खूनसं लथपथ बेहोश पड़ल अछि। एकर बाद स्थानीय लोक सभ उग्रभ’ गेल। आरोपीकें ताकिक’ ओकर पिटाइ शुरूक’ देल गेल। सूचना भेटलाक बाद पहुंचल पुलिस आरोपीकें पकड़ि लेलक।
महिला थानाध्यक्ष नुसरत जहां डीएमसीएच पहुंचक’ बच्चीक हालतक जनतब लेलनि। आरोपी आ पीड़िताक कपड़ाकें ओ जब्तक’ लेने छथि। डीएमसीएचमे बच्चीक उपचार चलि रहल अछि। घटनाक बादसं लोक आक्रोशित छथि। स्थानीय लोक ऐ घटनाकें अक्षम बता रहल छथि।

 2,605 total views

Follow on

By admin

One thought on “दरभंगामे तीन वर्षीय बच्चीक संग दुराचार, आरोपी गिरफ्तार”
  1. Good day! This post could not be written any better! Reading this post reminds me of my previous room mate! He always kept talking about this. I will forward this article to him. Fairly certain he will have a good read. Thank you for sharing!

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

You missed