बलुआ बाजार, सुपौल : सहरसा-फारबिसगंजक बीच चलि रहल आमान परिवर्तनक काज तीव्र गति सं चलि रहल अछि। पूर्व मे सहरसा सं ल’ राघोपुर धरि रेलसेवा बहाल छल। आब राघोपुर सं ल’ ललितग्राम रेलवे स्टेशन धरि जल्दिए ट्रेनक परिचालन शुरू हेबाक संभावना अछि। रेलसेवा शुरू करबा लेल जोर – शोर सं काज चलि रहल अछि। इंजन ट्रायल आ मालगाड़ी ट्रायल भ’ चुकल अछि। स्टेशन घर आ प्लेटफार्म निर्माणक काज सेहो जोर – शोर सं चलि रहल अछि। शनि कें पूर्व रेलवेक जांच टीम ललितग्राम पहुंचल आ कार्य प्रगतिक जनतब लेलक। ऐ अवसर पर स्थानीय निवासी कमलेश सम्राट दिनेश गुप्ता, आफताब आलम, तसव्वर आलम, शशिभूषण सिंह, अखिलेश झा, योगानंद कामत, शैलेंद्र कामत, ब्रह्मानंद कामत, अशोक कुमार झा, रंजीत कुमार झा आदि उपस्थित छलाह। हिनकर सबहक कहब अछि जे ऐ रेलमार्ग पर 9 वर्ष सं ट्रेनक आवागमन बंद अछि। तें स्थानीय लोक सभ कें परेशानी होइत छनि। जहन ऐ रेलमार्ग पर रेलसेवा बहाल छल त’ हजारो लोकक रोजी रोजगार ऐ सं जुड़ल छल। मुदा जहिया सं ऐ रेलमार्ग पर रेलसेवा बंद भेल अछि, स्थानीय लोक सबहक बीच विकट स्थिति उत्पन्न भ’ गेल अछि। मुदा स्थानीय लोक सभ कें आब ऐ बातक उमेद छनि जे ऐ रेलमार्ग पर जल्दिए सेवा बहाल भ’ जाएत आ स्थानीय लोकक परेशानी दूर हैत। रेल सूत्रक कहब अछि जे अगस्त धरि ललितग्राम धरि ट्रेन चल’ लागत। रेल अधिकारी सबहक कहब अछि जे सीआरएस सं पूर्व कार्यक निरीक्षण कयल गेल अछि। आइ हम सभ ई जान’ लेल पहुंचल छी की ऐ मार्ग पर आब इंजनक उद्घाटन कयल जा सकैए। ऐ अवसर पर प्रिंसिपल चीफ इंजीनियर ब्रजेश कुमार, मुख्य सेतु इंजीनियर एके राय, सीएसटीई पीके सुमन, डिप्टी चीफ इंजीनियर संजय कुमार, चीफ इंजीनियर सुशील कुमार, आईएनए आरके मिश्रा, आईओडब्ल्यू अमितेश कुमार, मुरारी कुमार एवं अन्य अधिकारी व स्थानीय लोक सभ उपस्थित छलाह।
3,042 total views
Follow on
Great site you have here.. It’s hard to find high quality writing like yours nowadays. I honestly appreciate individuals like you! Take care!!
Old bu gold! thx
Nice workd, great job. Keep following your website
nice
This is really interesting, You are a very skilled blogger.
Way cool! Some very valid points!
Eğlen
Really good article for us, good job.