
मधुबनी: मंगलदिन दुपहर मे राजनगर थाना क्षेत्रक भट्टी चौक लग सड़कक कात मे स्थित नूर गैराज मे अचानक आगि लागि गेल।एहि घटना मे गैराजक मालिक नूरलक तपैत आगि मे झूलसला सं मौत भ गेल। मृतक राजनगर थाना क्षेत्र के कसियाउना इलाका के निवासी छल।
प्रत्यक्षदर्शी कहलनि जे, गैराज मे कतेको गाड़ी ठाढ़ छल। गैराजक मालिक नूरुल गैराजक भीतर काज क’ रहल छल। तखन अचानक ओतय राखल वेल्डिंग सिलेंडर मे शार्ट सर्किट के कारण आगि लागि गेल। सिलेंडर मे आगि लगलाक बाद ओ विस्फोट भ गेल आ आगि तेजी सं पसरि गेल। गैराज के बगल मे स्थित बिस्कुट फैक्ट्री मे सेहो आगि लागि गेल।
आइ तेज हवाक कारण लग मे गुमटी सेहो आगि के लपट मे आबि गेल। बताओल जा रहल अछि जे आगि के घटना मे 50 लाख रुपैया के संपत्ति के नष्ट भो गेल।स्थानीय लोक आगि पर काबू पाबए लेल बहुत कोशिश केलक मुदा आगि पसरैत रहल। सूचना के बाद स्थानीय प्रशासन दमकल विभाग के जानकारी देलक। जकर बाद फायर ब्रिगेड के टीम मौका पर पहुंचि आगि पर काबू पाबि लेलक।
94 total views
Follow on