
समस्तीपुर: बुधदिन भोर मे चलैत स्कूल बस मे अचानक आगि लागि गेल। बस भोरे 7 बजे बच्चा सब के स्कूल छोड़य जा रहल छल। एहि दौरान बस मे बच्चा सब मौजूद छल। अचानक बस मे आगि लागि गेल। जहिना ड्राइवर देखलक जे बसक पाछूक भाग मे आगि लागल अछि। पहिने सड़कक कात मे बस रोकलनि।
एकर बाद ओ हड़बड़ी मे सब बच्चा के बस स उतारलक। एहि दुर्घटना मे कोनो बच्चा घायल नहि भेल अछि, मुदा लोक के कहनाय छनि जे अगर कनि बेसि काल होयत त बड़का दुर्घटना भ सकैत छल. दलसिंहसराय प्रखंडक बल्लोचक पेट्रोल पम्पक समीप भेल दुर्घटना।
प्रत्यक्षदर्शी सोनू कुमार कहलनि जे, चालक सावधानीपूर्वक गाड़ी के सड़क कात मे रोकि सब बच्चा के बाहर निकालि देलक। जाबे हम सब किछु बुझि सकलहुँ ताबे पूरा गाड़ी जरि कऽ राख भऽ गेल छल। ओतय उपस्थित लोक एकरा बुझेबाक प्रयास केलक, मुदा ता धरि गाड़ी एकदम जरि गेल छल।
ई बस सेंट स्टीफन स्कूल के अछि. स्कूल के मैनेजर आनंद कुमार के कहनाय छनि जे दुर्घटना के दौरान बस मे मात्र 4-5 बच्चा छल. सब कियो सुरक्षित अछि।
मौका पर मौजूद सोनू कुमार बतेलथि जे अचानक बस सं धुआं उठय लागल। चालक के दिमाग के उपस्थिति के कारण एकटा पैघ दुर्घटना टालल गेल। तुरन्त गाड़ीकेँ कातमे राखि बच्चा सभकेँ उतारि देलक। एकर बाद सभ बच्चा पैदले विदा भेल। एकर बाद मौका पर लोकक भारी भीड़ जमा भ गेल।
स्कूल प्रबंधक कि कहला
स्कूल मैनेजर आनंद कुमार कहलनि जे, भोरे स्कूल के मिनी बस बच्चा सब के लेबय लेल गेल छल। बल्लोचक के समीप शॉर्ट सर्किट के कारण बस मे आगि लागल। सब बच्चा सुरक्षित अछि।
41 total views
Follow on