
कर्नाटक मे एहि साल मई मे ही विधानसभा चुनाव होबय वाला अछि, जकर कारण आइ-काल्हि ऐतह राजनीतिक गर्मी तेज अछि.
मुख्य मुकाबला भाजपा आ कांग्रेस के बीच अछि मुदा ओतय जेडीएस के भूमिका सेहो महत्वपूर्ण अछि.
दुनू दल अपन-अपन घोषणापत्र जारी केलक अछि जतय एक दिस कांग्रेस बजरंग दल सन धार्मिक संस्था पर रोक लगेबाक वादा करैत अछि, आ 200 यूनिट तक मुफ्त बिजली, महिला के लेल मुफ्त बस यात्रा, स्नातक बेरोजगार के लेल 2 साल लेल 3000 रुपया प्रति माह दैब के वादा करैत दिख रहल अछि।
ओतेह भाजपा अपन घोषणापत्र मे समान नागरिक संहिता लागू कर कर्नाटक मे (National Register of Citizen) लागू होयत आ अवैध शरणार्थियों के डिपोर्ट करल जाएत, वोक्कालिगा आ लिंगायत के लेल आरक्षण 2-2% बढ़ायल जाएत, मंदिरक प्रशासन क पूर्ण स्वायत्तता देब के लेल एकटा कमिटी बनाओल जाएत, देव यात्रा तिरुपति, अयोध्या, काशी, रामेश्वरम, कोल्हापुर, सबरीमाला आ केदारनाथ जाय लेल गरीब परिवार के 25 हजार रुपया के मदद, पोषण योजना के तहत हर BPL परिवार के हर दिन आधा लीटर नंदिनी दूध, BPL परिवार के हर साल उगाड़ी, गणेश चतुर्थी आ दिवाली पर एकटा गैस सिलिंडर श्री अन्न श्री धन्य योजना के तहत BPL परिवार के हर महीना 5 किलो के राशन किट बेघर के लेल 10 लाख मकान किसान के बीजक लेल 10 हजार रुपया देबाक वादा करैत दिख रहल अछि।

बता दिए जे कर्नाटका मे विधानसभा सीट 224 टा अछि अतह बहुमत के सरकार बनेबाक लेल कोनो पार्टी के 113 सीट के जरूरत अछि. ओना जे सी-वोटर सर्वेक्षण के बात करी त कांग्रेस एहि ठाम सरकार बनाबेत दिख रहल अछि.
कांग्रेस के भारत जोडो यात्रा कर्नाटक सं गुजरल छल आ राहुल गांधी के लोकसभा के सदस्यता सेहो गंवा देबय पड़ल छल, ताहि लेल आब ई देखब रोचक होयत जे कांग्रेस के भारत जोडो यात्रा के परिणाम एतय कांग्रेस के पक्ष मे अबैत अछि कि नहिं।

विपक्ष लगातार भाजपा पर भ्रष्टाचार के आरोप लगाबैत रहल अछि, जाहि के कारण ई देखब दिलचस्प होयत जे भाजपा एहि ठाम सं चुनाव जीत क 2024 के लोकसभा चुनाव के शुरुआत करैत अछि कि नहि.
एहि ठामक विधानसभा चुनाव सेहो 2024 के लोकसभा चुनाव के लेल बहुत महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि.
कर्नाटक मे 10 मई कए चुनाव होबय जा रहल अछि, जेकर रिजल्ट 13 मई कए जारी होएत।
43 total views
Follow on